विराटनगर मे मैथिली फिल्म केर मुहुर्त भेल

mप्रविण चौधरी
मैथिली फिल्म मे नेपाली सिने अभिनेत्री, सौओ सँ ऊपर फिल्म निर्माणक अनुभव संग, संगहि मैथिली सिनेमाक बाजार नेपाल आ भारतक संग आस्कर तक रहबाक रीति सँ सुपरिचित आ उत्साहित झरना थापा केर प्रवेश वास्तव मे मैथिली फिल्म लेल बहुत पैघ क्रान्ति अनबाक संदेश द रहल अछि । नेपाल सब दिन मैथिली लेल वरदान बनल, पूर्वकाल विद्यापतिकेर कीति सँ र्लैत राजा प्रताप मल्ल केर समय आ फेर वर्तमान नेपाल मे मैथिलीकेँ संरक्षण हेतु सक्रिय भूमिका निर्वाह कैल गेल अछि । नेपाली मिथिलाक जनसंख्या महज ४०–५० लाख रहितो एहि ठाम जाहि तरहक जागृति अछि तेकर कमी अन्यत्र देखाइते अछि । दोसर एहि फिल्मक खास बात जे लगानीकर्ताक दायरा सेहो बढल अछि । देशभक्ति सँ प्रेरित राजमणि एक नेपालीभाषी रहितो वर्तमान राजनैतिक परिदृश्य सँ उत्प्ररित होइत मैथिली सिनेमा मे एतेक पैघ लगानीक घोषण कयलनि ई मैथिली लेल सौभाग्यक विषय भेल । तहिना
विराटनगर मे फिल्म उद्योग मे जुडल लगानीकर्ता सँ गायक, कलाकार,
म्यामरामेन, स्क्रिप्ट राइटर आ मैथिली भाषा मे रोजगारक अनेको अवसर बनि रहल अछि इहो बड पैघ प्रगतिशीलताक द्योतक भेल । विजय कामत, भागवतजी, विरेन्द्रजी सहित समस्त सम्बन्धित फिल्म निर्माण सँ जुडल व्यक्तित्व सबकेँ हमर नमन आ शुभकामना दुनू अछि ।
m

 

तपाईको प्रतिक्रिया