मिथिला चित्रकला सा नेपाल लोककला तक : श्री एस सी सुमन के हादिर्क बधाई

प्रवीण चौधरी
मिथिला नेपाली लोकसंस्कृतिक अभिन्न हिस्सा थीक, इही बातक पुष्टि विगत कतेको वर्ष सा नेपाल सरकार केर सकारात्मक योगदान आ मैथिली प्रति उत्साहबद्र्धक योजना सबहक शुरुआत सा होइते रहल अछि । साहित्य, रंगकर्म आ संस्कृति केर संरक्षण लेल निमिर्त देशक सर्वोच्च संस्था प्रज्ञा प्रतिष्ठान मे विगत कतेको वर्षक माग के पूरा करैत तीन अलग(अलग विभाग केर घोषणा भेल आ इही तीन मे सा एक लोककला हेतु गठित नेपाल ललितकला प्रज्ञा परिषद् केर प्रमुखक रप मे हमरा लोकनिक अग्रज आ मिथिला चित्रकलाक सिद्धहस्त प्रसिद्ध हस्ती श्री एस सी सुमन केर नियुक्ति कैल गेल अछि । यही सा समस्त मैथिल समाज आ मिथिलावादी विचारधारा के प्रोत्साहन भेटल अछि । नेपाल मे समावेशीकरण एक अनुपम उदाहरण स्वरुप श्री सुमन केर नियुक्ति प्रति मैथिली सेवा समिति (विराटनगर परिवार नेपाल सरकार प्रति आभार सहित धन्यवाद ज्ञापन करैत अछि । विराटनगर, बीरगंज, जनकपुर, काठमांडु आदेश(विदेश सब ठाम अपन कला(कुशलता सा श्री सुमन केर वर्षों वरिस केर तपस्या यही रपे सम्मानपूर्वक सफलताका सीढी पर चढल यही सा समस्त मैथिल समाज सहित नेपाली जनमानस मे उत्साहक माहौल बनल अछि। कला सा प्रतिष्ठा आ फेर
राष्ट्रक सेवा लेल एहेन सुअवसर भेटब हरेक कलाजीवी मानव लेल सपना होइछ, आगामी समय मे स्वयं कला क्षेत्रक समस्या आ कमजोरी सा अवगत सुमनजी प्रगतिशील डेग उठबैत राष्ट्रक गौरव के बढेता से विश्वास अछि ।
बहुत जल्द मैथिल समाजद्वारा सब नवगठित समिति सदस्य सब के स्वागत सत्कार तथा एकटा विषय (विचार गोष्ठी रखबाक लक्ष्य रखैत छी । समाज मे यही लेल संवाद संचरण करब जरुरी छैक जे अपन मातृभाषा आ मातृभूमि सा जुडल अस्मिताक रक्षार्थ अहाक कोनो योगदान कथमपि नकारल नहि जा सकैत अछि । नेपाल सरकार केर यही डेग सा समुचित प्रेरणा ग्रहण करैत साहित्य, संस्कृति आ रंगकर्म क्षेत्र मे उत्तरोत्तर प्रगति ग्रहण कर, समस्या लेल समुचित फोरम के नव (नव टास्क दैत आगू बढबाक प्रयास कर । वर्तमान नगरपालिका आ जिल्ला विकास समितिद्वारा यही तरफ बहुत कमजोर डेग उठायल जेबाक प्रश्न पर सेहो समस्त अधिकारी लोकनिक ध्यानाकर्षण करैत स्थानीय लोकशासन के आ केन्द्रीय शासन के मिथिला(मैथिली प्रति जिम्मेदारी तय करबाक जरुरति पर हम सब बल देब ।
त्र

तपाईको प्रतिक्रिया